प्रदेश विकास हेतु मधेश प्रदेश सरकार बजेट घोषणा कएलक

23 दिन पहिले प्रकाशित
155 पटक देखिएको

जनकपुरधाम–१गते,आषाढ़ । आजुकादिन महिनाके पहिल दिन अषाढ़–१गते, मधेश प्रदेश सरकारद्वारा आर्थिक वर्ष–२०८२–०८३ लेल बजेट सार्वजनिक कएल गेल छै ।
प्रदेशके विकास निर्माण सहित लेल घोषणानुसार कूल ४६ अर्व ५८ करोड ३० लाख ५१ हजार टाकाकेँ बजेट सार्वजनिक कएलगेल जनतब देलगेल छै ।
मधेश प्रदेशके अर्थमन्त्री सुनिलकुमार यादव आइ रविदिन मधेश प्रदेश सभामे बजेट वक्तव्य प्रस्तुत कएलाह । जाहिमे जारी आर्थिक वर्षके तुलनामे बजेट ६.१३ प्रतिशत बृद्धि कएल बजेट प्रस्तुत कएने बतौने छथि ।
चालूखर्च दिमे १६ अर्व ७२ करोड ५ लाख १७ हजार टाका बजेट राखल गेल छै । जेकर प्रतिशत मापन ३५.८९ होइत छै । पुँजीगत खर्च दिशमे ३० अर्व २६ करोड २८ लाख ३४ हजार टाका बजेट खर्च प्रदेशके विकास हेतु छुटियाओलगेल छै । जेकर प्रतिशत ६४.११ होइतछै ।
मन्त्रालय अर्न्तगत ‘वन तथा वातावरण मन्त्रालय’ हेतु २ अर्व ३७ करोड,‘श्रम तथा यातायात मन्त्रालय’ लेल ५७ करोड १४ लाख ५० हजार टाका बजेट छुटियाओल गेल छै । भौतिक पूर्वाधार विकास मन्त्राललेल १५ अर्व ८८ करोड ८५ लाख टाका रकम विनियोजन कएने कहल गेल छै ।
तहिना ‘उद्योग वाणिज्य तथा पर्यटन मन्त्रालय’ बास्ते ३ अर्व ८ करोड ७४ लाख, ‘गृह, सञ्चार तथा कानुन मन्त्रालय’के लेल ६४ करोड ४९ लाख ९७ हजार, ‘शिक्षा तथा संस्कृति मन्त्रालय हेतु ३ अर्व ५७ करोड ६६ लाख ५५ हजार टाका’ बजेट विनियोजन कएलगेल छै ।